बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया लिरिक्स (Baba Baidyanath Hum Aayal Chhi Bhikhariya Lyrics)

M Prajapat
1 minute read
0
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया लिरिक्स (Baba Baidyanath Hum Aayal Chhi Bhikhariya Lyrics)
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया लिरिक्स

बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया लिरिक्स (Baba Baidyanath Hum Aayal Chhi Bhikhariya Lyrics)

बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना

अइलों बड़ बड़ आस लगायल होहियो हमरा पर सहाय
एक बेरी फेरी दियौ गरीब पर नजरिया, अहाँ के दुअरीआ ना। १।

हम बाघम्बर झारी ओछायब डोरी डमरू के सरियाएब
कखनो झारी बुहराब बसहा के डगरिया, अहाँ के दुअरिया ना। २।

कार्तिक गणपति गोद खेलायब कोरा कान्हा पे चढ़ायब
गौरा -पारबती से करबेन अरजिया अहाँ के दुअरिया ना। ३।

हम गंगाजल भरी भरी लायब बाबा बैजू के चढ़ायब
बेलपत चन्दन चढ़ायब फूल केसरिया, अहाँ के दुअरिया ना।४।

कतेक अधम के अहाँ तारलों कतेक पतित के उबारलों
बाबा एक बेर फेरी दियौ हमरो पर नजरिया, अहाँ के दुअरिया ना।५।

काशीनाथ नचारी गवैया माता पारवती के सुनवइया,
बाबा एक बेर फेरी दियौ हमरो पर नजरिया, अहाँ के दुअरिया ना।६।

बाबा बासुकीनाथ हम आयल छी भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना      

Baba Baidyanath Hum Aayal Chhi Bhikhariya ( Bhole nath Ke maithili Bhajan ) by Madhvi Madhukar Jha

video Tutorial on Youtube

एक टिप्पणी भेजें

0टिप्पणियाँ

एक टिप्पणी भेजें (0)

#buttons=(Ok, Go it!) #days=(20)

Our website uses cookies to enhance your experience. Check Now
Ok, Go it!