बाबा नेने चलियौ भजन लिरिक्स (Baba Nene Chaliyo Bhajan Lyrics)
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी,
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी,
हो हो.… अपन नगरी झारखण्ड नगरी - २
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी,
अँगना बहारब बाबा, घरबा बहारब - २
औरो बहारब अहान क डेहरी
यौ बाबा औरो बहारब अहान क डेहरी
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी,
अहानक नगर में बाबा गंगा नहायब - २
जल भैर आनब भरी गगरी
यौ बाबा जल भैर आनब भरी गगरी
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी,
कार्तिक गणपति गोद खिलायब - २
पीसब भांग रगरी रगरी
यौ बाबा पीसब भांग रगरी रगरी
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी,
सांझ सवेरे बाबा झांकी निहारब - २
जीवन सफल होयत हमरी
यौ बाबा जीवन सफल होयत हमरी
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी,
हो हो.… अपन नगरी झारखण्ड नगरी - २
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी