चलली दुल्लरि धीया: मैथिली समदाउन गीत (Maithili Shadi Geet - Madhvi Madhukar)

M Prajapat
0
चलली दुल्लरि धीया: मैथिली समदाउन गीत (Maithili Shadi Geet - Madhvi Madhukar)
चलली दुल्लरि धीया: मैथिली समदाउन गीत

चलली दुल्लरि धीया: मैथिली समदाउन गीत (Maithili Shadi Geet - Madhvi Madhukar)

चलली दुल्लरि धीया पिया'के नगरिया हे 
पिया'के नगरिया सुन्न केली माय के कोर !

 बिचुकथि मयना सभ दाइ बहिना हे 
सभ दाइ बहिना बहल नयन'सँ नोर !

चलल कहरिया छोड़ि क' दुअरिया हे  
छोड़ि क' दुअरिया छूटि गेलै बाप के गाम 
 सासुघर चली देली नैहरा'सँ दूर भेली 
नैहरा'सँ दूर भेली बेटीधन दोसरे'के नाम !

हेरथि सुनयना चहुदिश अंगना हे 
 चहुदिश अंगना कहू आब कहती के माय  
मोन पड़ै नेनपन रुनझुन पैजन  
 रुनझुन पैजन सोचि सोचि रहलै कनाय !

रसे रसे रसू धीया पिया'घर बसू धीया 
पिया'घर बसू धीया धरू धरू बापक आशीष 
दूर रहै असगुन सुख सजै चौगुन
 सुख सजै चौगुन अचल सोहाग तोर शीश !

चलली दुल्लरि धीया | मैथिली समदाउन गीत | Maithili Shadi Geet | Madhvi Madhukar Jha


एक टिप्पणी भेजें

0टिप्पणियाँ

एक टिप्पणी भेजें (0)

#buttons=(Ok, Go it!) #days=(20)

Our website uses cookies to enhance your experience. Check Now
Ok, Go it!