बाबा करू ने कन्यादान: कन्यादान गीत |
बाबा करू ने कन्यादान: कन्यादान गीत (Maithili Vivah Geet - Madhvi Madhukar)
जांघिया चढ़ाए बाबा बैसला मंडप पर
बाबा करू ने कन्यादान हे
आहे बाबा करू ने धिया दान हे
सिसकी सिसकी रोवे मैय्या सुनैना
तुहु बेटी हर लै मोरा प्राण हे
आहे बाबा करू ने कन्यादान हे
जाहि धिया लेहो बाबा नटुआ नचौला हो सेहो बेटी भेला वीरान हे
पर पंकज गहि लाल लली के
अग्नि के साक्षी रचाई हे
आहे बाबा करू ने धिया दान हे
दोनु कुल केरे बाबा नाम धराओल ब्राह्मण वेद पढ़ाओल हे
कनैते कनैते बाबा करै कन्यादान
सखी सब मंगल गाई हे
आहे बाबा करू ने कन्यादान हे